मैथिलि प्रेम गीत
💓मैथिलि प्रेम गीत 💝
✍👤सुबोध चौधरी
पुरवैया ऊठबै टीस,
जागल छै मन में प्रीत।
हम गाबै छी प्रेमक गीत।
यै सजनी आहाँ बनि जाउ
हमर मन मीत।...2
आहाँक बिंदिया चान ईजोरिया,
हमरा बढ़ नीक लागै।
आहाँक पायल छनछन बाजै,
हमरा लऽग बजाबै।
हम सुर छी आहाँ संगीत।
यै सजनी आहाँ बनि जाऊ.....
आहाँक मिठगर बोल सुनिक,
हमर हिया हुलसैया।
आहाँक पातर ठोर देखि-देखि,
बागक फूल लजैया।
चलबी फेरसँ प्रेमक रीत।
यै सजनी आहाँ बनि जाउ.....
हमर आहाँकेँ जोरी जचतै,
जेना चान चकोरी,
हम आहाँकेँ कृष्ण बनब,
आहाँ हमर राधा गोरी।
लेबै प्रेमसँ जगकेँ जीत।
यै सजनी आहाँ बनि जाऊ....
गीतकार ✍👤 सुबोध चौधरी
💝💝💝💝💝💙💙💙💓💓💟❤❤
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
❤❤💟💓💓💙💙💝💓💟❤❤❤
❤❤❤❤💚💚
✍👤सुबोध चौधरी
पुरवैया ऊठबै टीस,
जागल छै मन में प्रीत।
हम गाबै छी प्रेमक गीत।
यै सजनी आहाँ बनि जाउ
हमर मन मीत।...2
आहाँक बिंदिया चान ईजोरिया,
हमरा बढ़ नीक लागै।
आहाँक पायल छनछन बाजै,
हमरा लऽग बजाबै।
हम सुर छी आहाँ संगीत।
यै सजनी आहाँ बनि जाऊ.....
आहाँक मिठगर बोल सुनिक,
हमर हिया हुलसैया।
आहाँक पातर ठोर देखि-देखि,
बागक फूल लजैया।
चलबी फेरसँ प्रेमक रीत।
यै सजनी आहाँ बनि जाउ.....
हमर आहाँकेँ जोरी जचतै,
जेना चान चकोरी,
हम आहाँकेँ कृष्ण बनब,
आहाँ हमर राधा गोरी।
लेबै प्रेमसँ जगकेँ जीत।
यै सजनी आहाँ बनि जाऊ....
गीतकार ✍👤 सुबोध चौधरी
💝💝💝💝💝💙💙💙💓💓💟❤❤
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
❤❤💟💓💓💙💙💝💓💟❤❤❤
❤❤❤❤💚💚

कोई टिप्पणी नहीं