मैंथिली रसगर गीत - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

मैंथिली रसगर गीत

।। मैंथिली रसगर गीत ।।




✍👤आनंद मिश्र मिलन"

                       
हमरो के लेने चलू यो अपना संग में पीया जी,
अहू के नीक लागत यो हमरा देख के सैया जी।
हमरो के लेने चलू यो.........।

चाँद सन मुँह देख जायब डियूटी करअ यो,
भरी दिन अहू के मन लागत काज परअ  यो।
थाकल आयब साझ में यो देब चुममा राजा जी
हमरो के लेने चलू यो........।

सब दिन रहनउ गाम घर में चौका बर्तन केलिय यो,
शहरी हावा लागत हम कने एडभानस बनबेय यो।
जेबेय पार्लर पहिरबे यो जिन्स पीया जी
हमरो के लेने चलू ...........।

नहियर स सासूर एलिये सासूर स  नहियर गेलिये,
ऐतबे दूर घूमनउ फिरनउ ऐतबे दूर रहलिये।
गर्दन में हाथ ध घूमबे यो बम्बई सैयाजी 
हमरो के लेने चलू...........

✍👤 आनंद मिश्र 'मिलन'
लालपूर, 

💙💙💙💚💗💗❤❤💓💟💗❤
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
💚💗💗❤❤❤❤💗💗💗💗💗

कोई टिप्पणी नहीं