गामक दलान - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

गामक दलान

💚गामक दलान💙

✍👤राजीव कर्ण

उजरल  छै  बगिया  आ टुटल मचान
उदासे   पड़ल    छै   गामक   दलान।

मिसरी सन  मिठका  बाजब हरायल
गाम छोड़ि लोक सब शहरो परायल
सुनसान  बनल सभ  खेत खलिहान
उदासे पड़ल..........................।

रुसल छै गाछ पात रुसल छै अंगना
चूड़ी  नै  छनकै छै  खनकै नै कंगना
जमघट बिन पनघट छै मरघट समान
उदासे पड़ल...........................।

भेटै नहि  टाट पर  तिलकोरक  लत्ती
भुतहा  मकान   बनल  जरै  नै  बत्ती
देखि   चिढ़ाबै   मुँह  गामक  सीमान
उदासे पड़ल...........................।
----------------------------
@ राजीव कर्ण।
राजनगर ,मधुबनी





💝💝💝💝💝💝💙💙💟💟💟💟💟
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
💗💗💗💗💗💗💚💚💚💚💚💓💓



🌻🌻🌻🌻👉

कोई टिप्पणी नहीं