कान्यादानक महिरम निच्छक बेपारी की जानत
कान्यादानक महिरम निच्छक बेपारी की जानत
✍👤मैथिल प्रशान्त
जकरा घर बेटी नहि साम-चकेवा तुसारी की जानत
कान्यादानक महिरम निच्छक बेपारी की जानत
मुट्ठी भरि बाँचल साँस बेसाहक मुदा छै तोरे बखरा
अग्गह-बिग्गह मोल छै रखने नेह बेमारी की जानत
बाउग करी हम बस आसक बिहनि एहि धरती पर
धांग'वला खून-पसेना मेहनतिकेँ तैयारी की जानत
कतबो कानब पसिझत नहिये किए मानि ने लै छी
पाषाण हृदय दया-दरेग नै आखर कारी की जानत
जनक सलहेस याज्ञवल्क्य विद्यापतिकेँ भूमि छै ई
ज्ञान पसारै सगरो मैथिल से बात बिहारी की जानत
~> ✍👤मैथिल प्रशान्त
दुर्गौली, बेनीपट्टी ।
🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌷🌻🌻🌻
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌼🌼🌼👇🌼🌼🌼🌼🌼🌼

![]() |
| लेखकः- मैथिल प्रशान्त जी |
🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌷🌻🌻🌻
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌼🌼🌼👇🌼🌼🌼🌼🌼🌼

कोई टिप्पणी नहीं