माँ गे माँ की कसूर हम केलियौ (भक्ति गीत )
माँ गे माँ की कसूर हम केलियौ (भक्ति गीत )
माँ गे माँ की कसूर हम केलियौ
कह ने नजरिसँ खसि कोना गेलियौ
तोरेसँ कहलौं माँ दिल केर बतिया
तूँहीं हरै छें माँ सब के विपतिया
हमरा विपति किए, देलें नै जनलियौ
माँ गे माँ,,,,,,,,,,
दुर्गा भवानी तूँहीं, तूँहीं महरानी
हमर कल्याण नै करै छें कल्याणी
दुष्ट असुरके तारलें, हम ने तरलियौ
माँ गे माँ ,,,,,,,,,,,,,,,
अम्बे दुआरि आबि हम कानै छी
माता प्रसन्न भऽ जो विनती करै छी
कहौ अमित मिसियो स्नेह नै गमलियौ
माँ गे माँ ,,,,,,,,,,
✍👤अमित मिश्रा
![]() |
| गीतकार - अमित मिश्रा जी |
💝💝💝💝💝🌻💝💝💝💝💝💝
पोस्ट - अशोक कुमार सहनी
💝💝💝💝💝💝💙💝💝💝💝💝


कोई टिप्पणी नहीं