अपन अपन रंग
💐अपन अपन रंग 💐
----------***---------
✍👤 अमरनाथ झा "अमर"
जीवन जीबक रूप अनेको
अलगे होइ छै ढंग
क्यो जीबय मंजरीक संग,क्यो
नव पल्लव केर संग ।
ककरो लगलै मज्जर तँ
ककरहु मे लगलै फूल
केओ लाबि के किसलय सँ
बनबै अछि अनुकूल ।
जकरा भाग मे जे लिखल छै
तेहने तेकर रूप
मुख्य बात तँ ई, जीबन मे
दृष्य ने हो कुद्रूप ।
फलनचक्र सम थिक ई जीवन
हासिल , कखनो नागा
मज्जर-कलश समाने होइ तँ
आस भविष्यक आँगा ।
जकरा दूनू मे सँ नै किछु
जिनगी लागइ ठूठ
निरखिके नीरस रूप अपन
लागि जाइछ हरमूठ ।
सज्जित रहय स'भकेर जीवन
फ'ल, फूल आ पात
लता आस के चतरय सबहुक
नहिं कोनो अभिघात ।
✍👤अमरनाथ झा"अमर"
20/03/2017/
💓💓💓💓💓💓💓💓💓💓💓🌻💓💟
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
💚💚💚💚🌼💟💚💚💚💚💚💟🌼💟
❤❤🚩🌷
----------***---------
✍👤 अमरनाथ झा "अमर"
जीवन जीबक रूप अनेको
अलगे होइ छै ढंग
क्यो जीबय मंजरीक संग,क्यो
नव पल्लव केर संग ।
ककरो लगलै मज्जर तँ
ककरहु मे लगलै फूल
केओ लाबि के किसलय सँ
बनबै अछि अनुकूल ।
जकरा भाग मे जे लिखल छै
तेहने तेकर रूप
मुख्य बात तँ ई, जीबन मे
दृष्य ने हो कुद्रूप ।
फलनचक्र सम थिक ई जीवन
हासिल , कखनो नागा
मज्जर-कलश समाने होइ तँ
आस भविष्यक आँगा ।
जकरा दूनू मे सँ नै किछु
जिनगी लागइ ठूठ
निरखिके नीरस रूप अपन
लागि जाइछ हरमूठ ।
सज्जित रहय स'भकेर जीवन
फ'ल, फूल आ पात
लता आस के चतरय सबहुक
नहिं कोनो अभिघात ।
![]() |
| लेखकः - अमरनाथ झा "अमर" जी |
✍👤अमरनाथ झा"अमर"
20/03/2017/
💓💓💓💓💓💓💓💓💓💓💓🌻💓💟
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
💚💚💚💚🌼💟💚💚💚💚💚💟🌼💟
❤❤🚩🌷



कोई टिप्पणी नहीं