मधेसी मोर्चाद्वारा निर्वाचन कार्यालय घेराउ, पैघ संख्यामे सुरक्षाकर्मी परिचालित - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

मधेसी मोर्चाद्वारा निर्वाचन कार्यालय घेराउ, पैघ संख्यामे सुरक्षाकर्मी परिचालित

मधेसी मोर्चाद्वारा निर्वाचन कार्यालय घेराउ, पैघ संख्यामे सुरक्षाकर्मी परिचालित


अशोक कुमार सहनी ,दोहा कतार अपन मिथिला/ चैत्र–१५ गते,संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेसी मोर्चाक कार्यकर्तासभ धनुषाके सदरमुकाम जनकपुर स्थित जिल्ला निर्वाचन कार्यालय धनुषा घेराउ कएलकअछि । 
मंगलदिन भिन्सर १० बजेसँ मोर्चाक कार्यकर्तासभ निर्वाचन कार्यालय घेराउ कएलकअछि । घेराउके कारण कार्यालयके कामकाज होब नै सकलअछि । कार्यालय घेराउ कार्यक्रममे मोर्चामे आवद्ध दलक केन्द्रीय तहके नेतासभ समेत सहभागी भेलछल । मोर्चाके कार्यक्रमके ध्यानमे राखि निर्वाचन कार्यालय आसपास पैघ संख्यामे सशस्त्र आ नेपाल प्रहरी परिचालन कएलगेलछल । मोर्चाक कार्यकर्ता आ प्रहरीबीच कोनो अप्रिय स्थिति नै आबे कहि जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा उक्त स्थानमे व्यापक सुरक्षाकर्मी खटौनेछल । 
मोर्चाक कार्यकर्तासभ अखनके अवस्थामे स्थानीय तहके निर्वाचन होब नै देबके कहैत निर्वाचन कार्यालय घेराउ कएने बतौलकअछि । 
तहिना संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेसी मोर्चाक कार्यकर्तासभ सप्तरी सदरमुकाम राजविराजस्थित जिल्ला निर्वाचन कार्यालय सप्तरी सेहो घेराउ कएलकअछि  तँ  संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेशी मोर्चाके असहयोग आ अवज्ञा कार्यक्रम अन्तर्गत मंगलदिन जिल्ला निर्वाचन कार्यालय रौतहटके गौरमे सेहो निर्वाचन कार्यालय घेराउ कऽ प्रदर्शन कएनेअछि ।
सप्तरीके मलेठमे प्रहरीके गोलीसँ ५ गोटे मधेशीके हत्याकऽबाद मोर्चाके केन्द्रीय कार्य समिति सार्वजानिक कएने असहयोग आन्दोलनके कार्यक्रम अन्तर्गत मोर्चाक नेता कार्यकर्तासभ मधेशके सब जिल्लास्थित निर्वाचन कार्यालय घेराउ कऽ कामकाज अवरोध कएनेअछि ।


पूर्वघोषित कार्यक्रमके सफल बनैवाकलेल मोर्चामे आबद्ध मधेशवादी दलक जिल्ला स्तरीय नेतासभ दर्जनौंके संख्यामे अ–अपन पार्टीके झण्डा लऽक कार्यालयके मुख्य गेटमे कार्यालय खुजसँ अगाडिए घेराउ कऽ धरणामे बैसलछल । 
तहिना संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेशी मोर्चा रुपन्देही जिल्ला निर्वाचन कार्यालय घेराउ कएनेअछि । मधेशी मोर्चामे आबद्ध दलक नेता तथा कार्यकर्तासभ मंगलदिन निर्वाचन कार्यालय घेराउ करके साथे किछ देर धर्ना समेत देनेछल ।
मधेशके माग सम्बोधन होबजका संविधान संसोधन बिना सरकार घोषणा कएने स्थानीय तहके निर्वाचनके विरोधमे केन्द्रीय कार्यक्रम अनुसार रुपन्देहीमे सेहो निर्वाचन कार्यालय घेराउ कएने मोर्चाके एक घटक सदभावना पार्टीके केन्द्रीय सदस्य राजेन्द्र गुप्ता बतौलनि ।

कोई टिप्पणी नहीं