थानीय तहके संख्या बढ़बै विषयमें एमालेके अडान की ? - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

थानीय तहके संख्या बढ़बै विषयमें एमालेके अडान की ?

थानीय तहके संख्या बढ़बै विषयमें एमालेके अडान की ?


फाइल फोटो


अशोक कुमार सहनी, दोहा क़तार, अपन मिथिला / बैशाख १४ गते : सरकार गठन केने स्थानीय तहके संख्या बढ़बै प्रक्रियामें प्रमुख प्रतिपक्षी एमाले सेहो सहभागी भेल अछि । सरकार उपप्रधान तथा स्थानीय विकास मन्त्री कमल थापाके संयोजकतमें गठन केने स्थानीय तहके संख्या  बढ़बै के विषयमें  मापदण्डसहित सुझाव निर्माण कार्यदलमें प्रतिपक्षी एमाले सहभागिता भेल अछि ।

स्थानीय तहके संख्या थप करै के  मापदण्डसहित सुझाव पेश करै के लेल सोमदिन सरकार पाँच मन्त्री सहित कार्यदल गठन केने छेल।ओकर  बाध  कार्यदलके संयोजक आ स्थानीय विकासमन्त्री कमल थापा ११ टा जिल्लाके जिल्ला समन्वय समिति के स्थानीय राजनीतिक दलके सहभागितामें नयाँ मापदण्ड अनुसर  संख्या सिफारिस करै केलेल परिपत्र जारी केनके छेल।

परिपत्र जारी करै के बाध नेकपा एमाले 'प्रतिपक्षके छैल के संख्या थप कर लागल' कहैत ओकर विरोधमें संसद बन्द करै लेल सुरु केने छेल।
मगलदिन आ बुधदिनके बैठक बन्द  केने  एमालेसगे बात करैत सरकार परिपत्र फिर्ता लेके ले तयार भेल छेल संख्या बढ़बै विषयमे प्रतिपक्षसहितके सहभागितामें निर्णय लेब समझदारी लेला के बाध बुधदिन साँझ संसद्के बन्द  हटोने छेल।

ओहि के बाध बैसल कार्यदलके पहिलका बैठकमें एमाले प्रमुख सचेतक भानुभक्त ढकाल आ पूर्व कानुनमन्त्री सेहो रहल  एमाले नेता अग्नि खरेल सहभागी भेल। मधेसी मोर्चाके नेतासब सेहो ओकरा सब के प्रस्तुतिप्रति सकारात्मक देखलक।

'एमाले सकारात्मक भेल कहैत  एमाले संख्या  बढ़बै विषयमा नकारत्मक नै अछि  ,' राष्ट्रिय जनता पार्टीके नेता लक्ष्मणलाल कर्ण कहलक, 'आब सचिवालय काल्हि तक प्राविधिक रिपोर्ट तयार करत। ओकर बाध राजनीतिक रुपमें ओहि ऊपर छलफल आ निर्णय हेत।' उ आगू कहलक संविधान संशोधन आ कानुन संशोधन करै लेल सहमति प्रक्रियामें एमालेके सहभागिता खुशीके विषय भेल बतौलक ।

एमाले प्रमुख सचेतक भानुभक्त ढकाल स्थानीय तहके संख्या बढ़बै विषयमें गठन भेल कार्यदलमें हम सब सहभागी भेल छि आ संविधानअनुरुप ओकरा आगू बढाब आग्रह केन छि ।

'राष्ट्रिय समस्या समाधान करै लेल  प्रमुख प्रतिपक्ष आ मधेश केन्द्रित दलसब सँग बैसके समाधान खोजै के प्रयास भेल, ओहिमे सबपक्ष बैस के राष्ट्रिय समस्या समाधान कसकै छै से  हामहु अपन  बात राखने छि प्रमुख सचेतक ढकाल कहलक, 'येन खोजैवाला समाधान संविधान, कानुन आ विधि प्रक्रिया अनुरुप होइ के चाही।'

कार्यदलके आजु के पहिलका बैठकमें मधेसी नेतासब मधेशमें ४८ दशमलव चार प्रतिशत जनसंख्या रहल कहैत भन्दै ओहि हाराहारीमें स्थानीय तहके संख्या मधेशमें होइपरत बतौने छेल। राष्ट्रिय जनता पार्टीके नेता सर्वेन्द्रनाथ शुक्लले 'जनप्रतिनिधि सबदिन जनताके हेत कहैत जनसंख्याके अनुपातमें स्थानीय तह वा निर्वाचन क्षेत्र निर्धारण होइ के चाही कहलक ।  सरकार भजले जेहेन ११ जिल्ला में मात्र संख्या बढ़बै के नई  पूरा मधेशमें  बढ़बै के कहने छेल।

बैठकमें एमाले नेता अग्नि खरेल जनसंख्याके अनुपात देखब त 'दुई नम्बर प्रदेश से बेशी तीन नम्बर प्रदेशमें करिब एकलाख बेशी  जनसंख्या अछि कहैत संख्या दुई नम्बरमें नै तीन नम्बर प्रदेशमें  बढ़बै परत कहने छेल .।

ओहि बाध दुनु पक्षबीचके बात चीत के  आधारमें काल्हि तक प्राविधिक प्रतिवेदन  तयार करिकै सचिवालय निर्देशन देने बैठक समापन्न भेल छेल।

कार्यदलके सचिवालय देखैवाला संघीय मामिला तथा स्थानीय विकास सचिवके सचिवालय स्थानीय तहके संख्या विस्तार आ ओकर मापदण्ड तयार कके प्राविधिक प्रतिवेदन पेश करै लेल काल्हि तक के टाइम  देने अछि । '१७ गतेतक प्रतिवेदन तयार कके पेश करपरत,' राष्ट्रिय जनता पार्टीके नेता कर्ण कहलक, 'तब हमसब काल्हि साँझ आ परसु बैस के प्राविधिक प्रतिवेदनके राजनीतिक सहमतिमें एक टा निर्णय में लजेब।'

संविधान संशोधन विधेयकमें संशोधन लजाय के समय शुक्रदिन साँझतक भेल आ आबै वाला रैबदिन संसदमें संविधान संशोधन विधेयक निर्णयार्थ पेस करै के सम्भावना रहल ओहि से पहिले सहमति में  पुगैके कार्यदलके तयारी अछि।

कार्यदलमें पाँच मन्त्री रहल तैयो  आयके बैसार में स्थानीय विकास मन्त्रीसहित रक्षामन्त्री बालकृष्ण खाँण आ कानुन मन्त्री अजयशंकर नायक मात्र सहभागी छेल। प्रतिपक्षी एमालेके भानुभक्त ढकाल आ अग्नि खरेल छेल ओहिमे संघीय गठबन्धनके तर्फसे सर्वेन्द्रनाथ शुक्ल, लक्ष्मणलाल कर्ण,  रेणु यादव, केशव झा ई सब छेल ।  

कोई टिप्पणी नहीं