पर्सा आगलागी पिडितसब के केलक राहत वितरण
पर्सा आगलागी पिडितसब के केलक राहत वितरण
अशोक कुमार सहनी, दोहा क़तार,अपन मिथिला / बैशाख १४ गते जिल्ला पर्सा उपमहानगरपालीका विरगंजके वार्ड न. २१ पटेलनगर आईगलागी पिडितसब के वैशाख १४ गते बैराइसप्तिदिन रोटरी क्लब अफ दरबारमार्ग से सहयोगार्थ प्राप्त अकुवा बक्स पहल नेपालके संयोजक सामाजिक अभियन्ता सरोज रायके संयोजकत्वमें राहत वितरण केने अछि। वैशाख १३ गते लागल आइगलागी से पिडित ७ परिवारके अकुवा बक्सके साथ साथमें पहल नेपालके पहिलेके स्टोकरहल त्रिपाल आ मछरजाली देने अछि।
रोटरी क्लव अफ विरगंज आ शस्त्र प्रहरी बलके संयुक्त सहभागितामें सम्पन्न राहत वितरण कार्यक्रम स्थानीय समाजसेवी प्रकाश थारू, बुद्धिजीवी, मेडियाकर्मी आ स्थानिय वासीके उपस्थिति।के वितरण कार्यक्रम सम्पन्न भेल छेल।
ई अकुवा बक्स रोटरी क्लब अफ दरबारमार्गके पहलमा 'रोटरी क्लब अफ व्रिक्स्विर्थ, इंगलैंड' आ 'अकुवा बक्स फ़ाउण्डेशन, इंगलैंड' से सहोगार्थ प्राप्त भेल अछि। ई बक्स भित्र इमर्जेन्सीमें उपयोग हुईवाला ४ दर्जन से बेशी उपयोगी समान सब अछि । प्रत्येक अकुवा बक्स भितर पाइन सफा करै वाला फिल्टर, टेन्ट, दबाई, खाना बनबै के समान, बाल्टिन, मग, प्लेट, साबुन, बच्चा सब के लेल कपडा, खिलौना, कापी आ टर्च लाइट, फोल्डिंग कुलहरि, आरी, हथौड़ी, काँटी, डोरी और समान सब राखल अछि ।
राहत वितरण करै बेर में एक टा अकवा बक्स से सब समान बाहर निकाइल के पाइन फिल्टर उपयोग करै के तरिकाके साथ आईग से केना के बचबाक चाही से बारे में सबके जानकारी सेहो करौने छेल।
वितरण कार्यक्रमके सहज बनाब विरगंज रोटरी क्लव, शस्त्र बल आ स्थानीय समाजसेवी प्रकाश थारू विशेष सहयोग केने छेल। पत्र पत्रीका २२ घर कहलक तैयौ वास्तविक पिडीत परिवार के संख्या ७ मात्र रहल अछि।
हम सब केने राहत वितरण आईगलागी पिडितसब के कुछ राहत देलक तैयो मूल समस्या गाँस आ वासके रहल अछि ।मुदा सरकारी स्तरसे खास पहल नै भेल अछि ।
धन्यवाद!
सरोज राय
संयोजक, पहल नेपाल






कोई टिप्पणी नहीं