मिथिला स्टुडेन्ट यूनियन नेपालद्वारा अग्नि पीड़ित विद्यार्थीसबके केलक शैक्षिक सामाग्री वितरण - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

मिथिला स्टुडेन्ट यूनियन नेपालद्वारा अग्नि पीड़ित विद्यार्थीसबके केलक शैक्षिक सामाग्री वितरण

मिथिला स्टुडेन्ट यूनियन नेपालद्वारा अग्नि पीड़ित विद्यार्थीसबके केलक शैक्षिक सामाग्री वितरण 





अशोक कुमार सहनी, दोहा क़तर, अपन मिथिला / बैशाख १६ गते ,सिरहा -- मिथिला स्टुडेन्ट युनियन नेपालद्वारा आए अग्नि पिडित विद्यार्थीके शैक्षिक सामाग्री वितरण कएल गेल अछि। सखुवा नन्कारककट्टी , सिमराहा टोलमे आगिलागिसँ पिडित भेल विभिन्न कक्षामे अध्ययनरत ४७ छात्र छात्राके मिस्यु नेपालक प्रतिनीधीद्वारा सहज वातावरणमे उक्त सामाग्री देल गेल अछि। पाल टागिं रहि रहल अवस्थामे आगिलगीसँ वच्चासभके पढबामे समस्या आबि रहल अछि स्थानियवासी कहै छथि।मैथिला विकाश मुल उदेश्य लऽकऽ आगा बढि रहल मिस्यु नेपालके सदस्यसभ अपनेमे चन्दा संकलन केने छलथि। शैक्षिक सामाग्रीके सगें घर निर्मानकाल १ महिना  निशुल्क टियुसन पढेबाक बेवस्ता मिलाएल गेल। उक्त राहत वितरणमे दिनेश रसिया , गजेन्द्र गजुर , रितेश मैथिल , तेजु मैथिल , गायत्री सिहं सहित १६ गोटे प्रतिनिधि पहुचल छलथि।

ई जानकारी - गजेंद्र गजुर आ नरेश चन्द्र बरब्रिया देने अछि



कोई टिप्पणी नहीं