इलाज के अभावमें मधेश आन्दोलनमें घायलभेल एक गोटे के मौत - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

इलाज के अभावमें मधेश आन्दोलनमें घायलभेल एक गोटे के मौत

इलाज के अभावमें मधेश आन्दोलनमें घायलभेल एक गोटे के मौत



अशोक कुमार सहनी ,दोहा क़तार, अपन मिथिला /बैशाख १६ गते , राजविराज । इलाज के अभावमें मधेश आन्दोलनमें  घायलभेल एक  गोटे के मौत भेल अछि । मधेश आन्दोलनके क्रममें सप्तरीके भारदहमें गोली लागिके घायल भेल रघु साफीके मौत भेल अछि ।

मूरी में गोली लागल साफी बीतल एक वर्षसे इलाज करैत आइबरहल छेल । प्रहरीके गोलीसे ओकर आँखि सेहो फुटल  छेल ।

कुछ दिनपहिले अस्पतालसे डिसर्चाज भेल साफीके शुक्रदिन राती सप्तरीस्थित अपने निवासमें मौत भेल अछि।

साफीके परिवार देने  जनकारीअनुसार आर्थिक अभावके कारण ओकर नीक से उपचार कर नै सकल छेल । साफीके परिवारके आर्थिक अवस्था सेहो बहुत कमजोर रहल अछि ।

कोई टिप्पणी नहीं