पढाइ सुरु भेल मुदा, किताब पूरा नै छापेलै अखुन तक

अशोक कुमार सहनी, दोहा क़तार, अपन मिथिला / बैशाख १०, २०७४ : नयाँ शैक्षिक सत्र सुरु भेला १० दिन भेल। देशभर नयाँ भर्ना अभियान चैलरहल अछि । शिक्षा विभाग भर्ना भेल विद्यार्थीसब के समयमै किताब उपलब्ध करै के प्रतिवद्धता करहल अछि। मुदा, किताब छापै के जिम्मा लेने जनक शिक्षा सामग्री केन्द्र आ निजी क्षेत्रके छापाखाना अखुन मोटा मोटी १ करोड ६ लाख ३५ हजार थान किताब छापै लेल बाकी अछि।
शिक्षा मन्त्रालयके कक्षा १ सs ५ तक साढे ३४ लाख विद्यार्थीसब ई शैक्षिक सत्रका लेल आवश्यक १ करोड ७२ लाख थान किताब छापै के जिम्मा निजी छापाखानाके देने अछि। तै में ३१ लाख किताब अखुनो छापै लेल बाँकी अछि। केन्द्र के सेहो ७५ लाख ३५ हजार २ सय ८६ थान किताब छापै लेल बाकी अछि।
जम्मा विद्यार्थी ५७ लाख ५७ हजार ७ सय ४४ के लेल ३ करोड ७२ लाख ५१ हजार किताब आवश्यक रहल में अखुन तक २ करोड ६६ लाख १६ हजार ६ सय ६९ थान मात्रै किताब छपायल अछि । अर्थात् २८.५४ प्रतिशत किताब बाकी अछि ।

कोई टिप्पणी नहीं