रौतहट अदालतके आदेशमें छुटल डा.सीके राउत फेरो पकड़लक - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

रौतहट अदालतके आदेशमें छुटल डा.सीके राउत फेरो पकड़लक

रौतहट अदालतके आदेशमें छुटल डा.सीके राउत फेरो पकड़लक


अशोक कुमार सहनी, अपन मिथिला /रौतहट, बैशाख १४– जिल्ला अदालत रौतहटके आदेशमें साधारण तारेखमें छुटल स्वतन्त्र मधेश गठबन्धनका अगुवा डा.सीके राउतके प्रहरी फेरों पक्राउ केने अछि ।

जिल्ला अदालत रौतहट राउतके साधारण तारेखमें छोड़ै के आदेश देने छेल । अदालतके आदेशमें साधारण तारेखमें छुटल  राउतके तत्काल पक्राउ केने अछि।

राज्यबिरुद्धके मुद्धा आ संगठित अपराध मुद्धामें पक्राउ परल डा.राउतके तर्फसे ३७ गोटे वकिलसब बहस केने छेल बहस बाध जिल्ला न्यायाधीस लक्ष्मीराम ढुंगानाके इजलास साधारण तारेखमें छोडै के आदेश देने छेल।

अदालतके आदेशबाध बाहर निकल लागल  डा.राउतके अदालत के आँगन से बैरास्पतिदिन साँझ रौतहट प्रहरी पक्राउ केने अछि । पक्राउके टाइम डा.राउतले प्रहरीसँंग पक्राउ पुर्जी माग केने छेल ।

राउतऊपर बाँके जिल्लामें एहिने प्रकृतिके मुद्धा दर्ता भेल कहैत ओकरा आवश्यक कारबाहीके लेल बाँके लजेब रौतहट प्रहरी स्रोत जानकारी देने अछि।


कोई टिप्पणी नहीं