ओकरा ताकैत रही हम आ ओ ताकैत रहे हमरा - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

ओकरा ताकैत रही हम आ ओ ताकैत रहे हमरा


ओकरा ताकैत रही हम आ ओ ताकैत रहे हमरा



दिनेश रसिया
===========================

ओकरा ताकैत रही हम आ ओ ताकैत रहे हमरा ।
छुछे अपसियात रही झामर भगेल देहक चमरा ।

एक त बर्ष दिनके पाबैन उपरसं फुलवारीक भीड
फुलमे भरल सुगन्ध अनेक लौटैत देखलौ भँवरा ।

सिखल सिखायल नै देखल देखायल रुप हुन्कर
पछवरिया हावा देखैते लागल खटगर अमरा । 

बाह्र बिध्हाक रहे ओकर मोनक परती 
धुर कट्ठे रहे हमर मोनक कमरा ।

इनकलाब केलक रसिया ओकर प्रेममे
सिधासाधा रही आब लोग बुझे बमरा ।
==========================
लेखक - दिनेश रसिया 
लहान 
२०७३–१२–२४
लेखक - दिनेश रसिया जी









💐💐💐💐💐💐💐💐💐💝💝💝💝💝💝💝💝
पोस्ट -अशोक कुमार सहनी
💝💝💝💝💝💝💝💝💝💐💐💐💐💐💐💐


कोई टिप्पणी नहीं