मैथिली ठाकुर सेमीफाइनल में केलीह प्रवेश - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

मैथिली ठाकुर सेमीफाइनल में केलीह प्रवेश

मैथिली ठाकुर सेमीफाइनल में केलीह प्रवेश 






अशोक कुमार सहनी ,दोहा क़तार,अपन मिथिला, चैत २७गते  /कलर्स चैनल पर प्रसारित भs रहल सिंगिंग रियलिटी शो "राइजिंग स्टार"में मिथिलाक बेटी मैथिली ठाकुर सेमीफाइनल राउंड में मिथिलाक प्रतिभाक झलक देखबैत जोरदार एन्ट्री केने अछि |
ई समस्त मैथिलक समवेत प्रयासक प्रतिफल अछि आ हुनका स्वर मे तँ साक्षात सरस्वती छथिने। आई समुच्चा वॉलीवुडक शीर्षस्थ सांगीतिक पुरोधा लोकनि हुनक प्रतिभा सँ आह्लादित छथि। हमरा सभक लेल ई एकटा विशिष्ट गौरवबोध केर विषय थिक । एहिना मैथिली अपन प्रतिभा सँ मिथिलाक झंडा बुलंद केने रहथि आ ताहि क्रम मे जताह कतहुँ हमरा सभक सहियोग आपेक्षित हेतैक हम सभ सदैव ताहि लेल तत्पर आओर साकांक्ष रही । जय मिथिला ! जय मैथिली  ।

कोई टिप्पणी नहीं