नै लेबै दहेज, नै देबै दहेज,बेटी बापक नै कटतै करेज (गीत) - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

नै लेबै दहेज, नै देबै दहेज,बेटी बापक नै कटतै करेज (गीत)

।।।दहेजमुक्त मिथिला।।
-गीत-


✍ 👤सुबोध चौधरी 
नै लेबै दहेज, नै देबै दहेज।
बेटी बापक नै कटतै करेज।
बनतै दहेजमुक्त मिथिला-2
रहतै बेटी नै अबला,
बनतै दहेजमुक्त मिथला।
*
अपने जनमल बेटा केँ
आब क्यो ने लगबु दाम यौ।
पावन मिथला धरती केँ
और करियौ ने बदनाम यौ।
नै क्यो बनियौ पतीत
राखु अपन मन प्रीत।
खाऊ सपत नै लेब दहेज।
बनतै दहेजमुक्त मिथिला....
*
तखने अपन मिथला बनतै
सुंदर मिथला धाम यौ।
जेहिया अत दैत
दहेजक
रहतै कत्तौ ने नाम यौ।
फेरो औथिन महेश
हरथिन सबटा कलेश।
आब दहेज सँ करु
परहेज।
बनतै दहेजमुक्त मिथिला.....
*
बेटियो अप्पन नाम कमेतै।
जग में करतै नाम यौ।
ऊहो समाज मे आगु बढ़तै,
बनतै मिथिलाक शान यौ।
बेटी सबला हेतै
उ नै अबला हेतै।
सभ बेटीयो केँ राखबै सहेज।
बनतै दहेजमुक्त मिथिला.....
*
✍ 👤सुबोध चौधरी।।
गीतकार - सुबोध चौधरी जी











🌻👇🌷👇🌷👇🌻👇🌻👇🌻🌷👇
पोस्ट - अशोक कुमार सहनी
💐💐💐💐💐💐💐💝💝💝💝💝💝💝


कोई टिप्पणी नहीं