"दहेज मुक्त समाज अप्पन अभियान-नेपाल"संस्था सक्रिय रुप सँ अगा बढावि, विषय पर भेल विशेष छलफल। - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

"दहेज मुक्त समाज अप्पन अभियान-नेपाल"संस्था सक्रिय रुप सँ अगा बढावि, विषय पर भेल विशेष छलफल।

"दहेज मुक्त समाज अप्पन अभियान-नेपाल"संस्था सक्रिय रुप सँ अगा बढावि, विषय पर भेल विशेष छलफल


अशोक कुमार सहनी ,दोहा क़तार, अपन मिथिला / बैशाख ९ गते ,"दहेज मुक्त समाज अप्पन अभियान -नेपाल"संस्थ एहि  मिति:-२०७४ साल बैशाख ८गते शुक्रबार के दिन सउदी अरेबिया के जुवेल सहर आ तहिना दोहा कतारके समस्त नेपाली सभक जमगट ग्रेन्ड मलक गार्डन् मे नव सदस्य सभक भेट घाट के सँगे सँस्थाके सँस्थागत तरिका सँ आगा बढाबल जाय,एहि विषय पर भेल विशेष छलफल।संस्था सँ जुड्ल विभिन्न पदाधिकारी वक्ता साथी आ सदस्य साथी सभ के विचार विमर्श के अनुसार,हमरा अहाँक समाजमे घटयत आबिरहल विभिन्न घट्ना सब जेना:दहेज प्रथा,समाज शोषण,महिला हिंसा,रुढीबादी,कु-विचार,बालविवाह, जातिय छुवाछूत,भ्रष्टाचार जेहन विकृति सभ समाज सँ हटावल जाय।समाजमे प्रचार प्रसार आ विभिन्न कार्यक्रम के माध्यम सँ चनचेतना हेतु "दहेज मुक्त समाज अप्पन अभियान-नेपाल"संस्था द्वरा निरन्तर चलावल जाय।

स्वास्थ,शिक्षा आ स्वच्छता;समाज के आधार।घर घर के आवाज;दहेज मुक्त समाज।जेना:बालविवाह जिन्दगी तवाह;जेहन नारा सेहो लगावल गेल।देखल जायतs खास कs हमरा अहाँक समाजमे हर घर के व्यक्ति परेशान रहयत अछी।धनिक आ गरिव सभके एक आवाज;दहेज मुक्त समाज।दहेज जेहन कुप्रथा सँ समाजके मुक्त करावयके लेल विभिन्न देश विदेश मे रहल नेपालि मधेसी युवा,युवती आ विभिन्न महानुभाव सभक सल्लाह,सुझाव आ प्रतिक्रिया के मध्य नजर रखयत "दहेज मुक्त समाज अप्पन अभियान-नेपाल"संस्था के स्थापना कयल गेल।यी 
संस्था 
समाजमे रहल विकृति सभपर अधारित कार्य करहल छकी।तहिना गरिव,दलित,जनजाती,असहाय,अपाङ्ग  आ पीडित व्यक्ति के सहयोग के सँगे शिक्षा आ स्वास्थ के नि:शुल्क परामर्श आदि।

सउदी अरेबिया मे रहल संस्थाक सचीव श्री मनोज कुमार पासवान तहिना दोहाकतामे रहल सल्लाहकार  श्री बिरेन्द्र पासवान जि के नेतृत्व मे मिटिङ सम्पन भेल।संस्थाके सक्रिय रुप सँ सञ्चालन करके लेल पदाधिकारी लगायत विभिन्न सदस्य साथी अभ अप्पन अप्पन सेलरी के कुछ रकम सेहो सहयोग केलनी अछी।समाज सँ दहेज हटावयके लेल माता जनकी  जि के शाक्षी रखयत सन्कलप सेहो लेल गेल।संस्थाके लेल सहयोग केनिहार पदाधिकारी ज्यू लगायत सदस्य ज्यू सभक नाम सेहो प्रकाशित कयल गेल।सहयोगी सभक नाम निम्नलिखित अछी,
 १.श्री ललित कुमार प्रेमर,कतार-२६१/-
२.श्री राम कुमार मण्डल,सउदी-२६१/-
३.श्री शिवशंकर महतो, सउदी-२५५/-
४.श्री बिनोद कुमार साह,सउदी-१५१/-
५.श्री राम टहल साह ,सउदी-२०२/-
६.श्री मनाेज पासवान सउदि-२५१/-
७.श्री रामअसिस महताे मलेसियन-१०१/-
८.श्री मनाेज साेनि      सउदि   -२५१/-
९.श्री महिन्द्र महताे सउदि - ५१/-
१०.श्री श्यमसुन्द्र मण्डल सउदि- १०१/-
११.श्री बिरेन्द्र पासवान कतार -२५१/-
१२.श्री कपिल पासवान सउदि -१११/-
१३.श्री रामदेव मुखिया सउदि -२०२/-
१४.श्री पपु कुमार पासवान कतार-५१/-
"दहेज मुक्त समाज अप्पन अभियान-नेपाल"
संस्थामे सहयोग राशी देनिहार सम्पुर्ण पदाधिकारी ज्यू लगायत सदस्य ज्यू सभमे संस्थाके तर्फ सँ बहुत बहुत धन्यवाद!उत्तर उत्तर प्रगतिके कामना।

दहेज मुक्त समाज अप्पन अभियान-नेपाल संस्थाक अध्यक्ष श्री ललित कुमार प्रेमर"अप्पन मिथिला ड्टकम" के जानकारी दैत कहलनी हमरा अहाँक समाजमे कुप्रथा,लोभलालच,महिला हिंसा,छुवाछूत जेहन विभिन्न कुरिती सभपर जनचेतना मुलक कार्यक्रम समाजमे चलावल जायत।समाजमे  चलिरहल अन्धविश्वास आ दमन जेहन कार्य नय करि आ किनको द्वरा नय करावी।अछी हमर अनुरोध सयवके करि सहयोग।

कोई टिप्पणी नहीं