बहुत कम लोक दुखमेँ हँसैत भेटत - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

बहुत कम लोक दुखमेँ हँसैत भेटत

💐बहुत कम लोक दुखमेँ हँसैत भेटल 💐




✍👤अनिल मल्लिक

आई ओ बात पुरान सभटा मोन पड़ल 
आई ओ गाम दलान हमरा मोन पड़ल 

हम सभ एक दोसरा के ने देखने छलौँ 
तैयो एहन मिलान सभटा मोन पड़ल 

जिनगीमेँ हमर कतेक दुखे दुख छलै 
अहाँ केलौँ समाधान सभटा मोन पड़ल 

एकटा समय एलै लगलै साथ छूटत 
कृपा भेलै भगवान सभटा मोन पड़ल 

बहुत कम लोक दुखमेँ हँसैत भेटत 
आई अहाँक मुस्कान हमरा मोन पड़ल 

भरोसा रखने रहू अहिना हँसिते रहू 
भेटल जेतै निदान सभटा लोक कहत

लगैत छै कि साथ अप्पन काल्हिए के होए 
अहीँ छी हमर जान हमरा मोन पड़ल …!

...,✍👤अनिल मल्लिक

कोई टिप्पणी नहीं