डा.सीके राउत के अज्ञात स्थन में राखल गेल अवस्था सार्वजनिक कर नेपाली सरकार सँ स्वतन्त्र मधेश गठबन्धन के मांग ! - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

डा.सीके राउत के अज्ञात स्थन में राखल गेल अवस्था सार्वजनिक कर नेपाली सरकार सँ स्वतन्त्र मधेश गठबन्धन के मांग !

डा.सीके राउत के अज्ञात स्थन में राखल गेल अवस्था सार्वजनिक कर  नेपाली सरकार सँ स्वतन्त्र मधेश गठबन्धन के मांग  !


अशोक कुमार सहनी, दोहा क़तार, अपन मिथिला,बैशाख ,१गते ,'राज्य विरूद्ध संगठित अपराध' के मुद्दे में सिरहा अदालत द्वारा बितल काल्हि ३१ चैत २०७३ गते रू १०,०००/- धरौटी में छोडैके आदेश देने छेल | मुदा  नेपाली सरकार षड़यन्त्र  करैत छुटल तुरन्त बाद फेर अदालतके आँगन से डा. सीके राउत के गिरफ्तार केने छेल | रूपन्देही पुलिस द्वारा भेजने पक्राउ पुर्जी डा.सीके राउत के दैत सिरहा पुलिस फेरो गिरफ्तार कके लगेल छेल | तब से डा. सीके राउत के बारे में कोनो औपचारिक जानकारी नै मिलल अछि|

अपुष्ट समाचार अनुसार डा.सिंके राउत के काल्हि राईत सिरहा में  रखने छेल और मध्यराति के रूपन्देही लगेल | रूपन्देही पहूँचल या नै, डा. सीके राउत के कत राखने अछि  आय भोर सँ कोनो जानकारी नै मिल रहल अछि |

रूपन्देही के कुछ लोग कहैनाम अछि  कि डा. साहब के बुटवल में राखने अछि  मुदा रूपन्देही पुलिस स्थिति के अनसुनी करै रहल अछि | ककरो कुछो नै बता रहल अछि | सुरक्षा के बैठक चलै हैय से  हल्ला चलेने अछि और ककरो नै थाना में नै जाय देने अछि|
रूपन्देही पुलिस के कारण लोगों में आक्रोश सेहो बढ़ रहल अछि  | नेपालिके  बाहुल रहल बुटवल में डा. साहब के राखिके सरकार द्वारा गड़बड करै के साजिस रचने से आशंका लोगों सब करहल अछि |
डा. राउत के स्थिति जल्दी सार्वजनिक नै केलक तs  आन्दोलन सेहो हेत | रूपन्देही बन्द करै के  लोगों में बात चीत भरहल अछि|

स्वतन्त्र मधेश गठबन्धन, सरोकारवाला सब के डा. सीके राउत के स्थिति जल्दी सार्वजनिक करै से मांग कने अछि।।

न्यूज ,हिन्दी मे साभार ,डा. सीके राउत Facebook पेज सँ

कोई टिप्पणी नहीं