मध्य राति आएल हावा विहाईरसँ जनकपुरक अवस्था गम्भीर - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

मध्य राति आएल हावा विहाईरसँ जनकपुरक अवस्था गम्भीर

मध्य राति आएल हावा विहाईरसँ जनकपुरक अवस्था गम्भीर


अशोक कुमार सहनी ,दोहा क़तार ,अपन मिथिला / चैत्र–२६गते,मध्य राईत आएल एकाएक हावा विहाईरसँ जनकपुरक अवस्था दयनीय भेलअछि । हावा विहायरसँ बहुतोके धनजनके क्षति भेलअछि तँ किसानसभ सेहो एकर प्रत्यक्ष मारमे परलअछि । अधिकांस सुतल रहल अवस्थामे एकाएक आएल हावा विहायरसँ लोकसभ भयभित बनलछल ।कतेकोके घरके छत उडादेनेअछि तँ कतेको छतके पानीटङकी उडौनेअछि । ठाम ठाममे गाछ बृक्षसभ खसल देख्वामे आयलअछि तँ किसानसभके बालीनाली सेहो नोक्सान भेलअछि ।तहिना जनकपुरक अधिकांस दोकानसभके होर्डिङ बोर्ड उडौनेअछि तँ विधुतीय तारसभ सेहो ठाम ठाममे टुटल देख्वामे आएलअछि   ।तहिना रायतक हावा विहायरसँ रेडियो जनकपुरके ११ टा सोलार प्यान सेहो उडौनेअछि । जयके काराणे रेडियोके लाखोके क्षती भेलअछि ।

कोई टिप्पणी नहीं