मैथिलीकेँ राइजिंग स्टार बनएबाक लेल फाइनल मे एक नहि दू बेर भोट करय परत

अशोक कुमार सहनी, दोहा क़तार, अपन मिथिला/बैशाख ९ गते ,। कलर्स चैनल पर चलि रहल सिंगिंग शो मे एखनि धरि अपन जबरदस्त परफॉरमेंस सँ देशक करोड़ो लोकक दिल जितनिहारि मैथिली ठाकुर “टिकट टू फिनाले” केर टिकस सीधे 23 अप्रैल केँ होएवला ग्रैंड फिनाले मे त पहुँच गेलिह एहि मुदा एखनो देशक पहिल राइजिंग स्टार केर खिताब जितनाइ सहज नहि अछि किएक त ग्रैंड फिनाले मे खिताब जितबाक लेल एकबेर नहि बल्कि दू बेर परफॉर्म करय पड़तनि ओ एहि द्वारे जे कैल्हि यानि शनिदिन होबए जा रहल सेमी फाइनल मे कुल चारि टा प्रतिभागी भाग लेत जाहिमे सँ मैथिली एलिमनेट नहि हेतिह किएक त ओ पहिलहिं सँ ग्रैंड फिनाले मे पहुँच गेलिह एहि। तैं कैल्हि मात्र तीने टा प्रतिभागी केर भोट गानल जाएत आ ओहिमे सँ जिनक भोट प्रतिशत कम होएत ओ एहि शो सँ बाहर भए जायत बाद बाँकी बाँचल दुनू प्रतिभागी ग्रैंड फिनाले मे पहुँच जाएत जतय एकबेर फेर प्रतिभागीक केर संख्या तीन रहत।
ग्रैंड फिनाले मे पहुँचनिहार तीनू प्रतिभागी एकां-एकी परफॉर्म करत आ ओहिमे जेकर भोट प्रतिशत कम होयत ओ शो सँ बाहर भए जायत।बाँकी बाँचल दू टा प्रतिभागी मे फेरसँ टक्कर होयत आ ओहिमे जेकरा सबसँ बेसि भोट प्रतिशत पाओत ओ बनत। मुदा मुकाबला एखनो सहज नजरि नहि आबि रहल अछि पर हाँ यदि दिल्ली, बिहार, मिथिला आओर देश-विदेशमे रहि मैथिली केर गायकी केर पसिन कएनिहार श्रोता लोकनि जौं दुनू बेर जमि कए भोट करथिन त मैथिली देशक पहिल राइजिंग स्टार नहि बल्कि मिथिलाक पहिल राइजिंग स्टार बनबाक सौभग्य प्राप्त करतीह।
यदि एखन धरि केर एपिसोड मे अपने लोकनि मैथिली केँ भोट नहि कएलहुँ एहि त जल्दी सँ अपन मोबाइल फोनक गूगल प्ले स्टोर मे जा कए कलर्स टीवी एप्प डाउनलोड कएलाक बाद राइजिंग स्टार पर क्लिक कए फेसबुक या ट्विटर केर माध्यम सँ लॉगिन मैथिली केँ भोट कए सकैय छी।
साभार - मिथिला दर्शन न्यूज।

कोई टिप्पणी नहीं