दू वर्षके बच्चा अपने घरसे बेपत्ता , अपहरण भेल से असंखा - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

दू वर्षके बच्चा अपने घरसे बेपत्ता , अपहरण भेल से असंखा

दू वर्षके बच्चा अपने घरसे बेपत्ता , अपहरण भेल से असंखा

फाइल फोटो




अशोक कुमार सहनी, दोहा क़तार, अपन मिथिला /लहान बैशाख १४ - सिरहाके नरहा गाउँपालिका ३ खोरिया बत्राही नाम रहल ठाउमें अपने घरसे बुधदिन साँझ से  हरारहल दू वर्षके बच्चा अखनो तक नै भेटल अछि। स्थानीय रामभरोसी यादवके छोटका बेटा रमन यादव बुधदिन  साँझ ७ बजेसे हरारहल से बाबु रामभरोसी जानकारी देने अछि / साँझ के घरमें भैया आ दिदीसँग बैस के पढे छेल रमन एका एक हरागेल त  तब सब ठाम खोजी केली मुदा कतौ नै भेटल’ बाबु रामभरोसी कहलक। छिमेकीके घर आ अपन अपनैति सब ठाम सब मे  खोजी केलि तैयौ नै भेटल तब बैरस्पतिदिन भोर के इलाका प्रहरी कार्यालय मिर्चैयामें खोजीके लेल उजुरी देली बाबु रामभरोसी जानकारी देलक। इलाका प्रहरी कार्यालय मिर्चैयाके प्रहरी नायव उपरीक्षक गजुसिद्धी बज्राचार्य  सम्बन्धित परिवार नाबालक खोजीके लेल उजुरी देने जानकारी दैत एहि लेल  प्रहरी खोजै लेक लगाचुकल जानकारी देने अछि। रमन के पुराका दुश्मनी के कारण कोई अपहरण केने से हुन असंखा केने अछि  / 

खबैर नेपाली में , फिरोज शेख ,सरगम खबैर लहान से साभार केने छी

कोई टिप्पणी नहीं