राजपाके निष्कर्ष: महाअभियोग संविधान संशोधन नै हुवादैके षड्यन्त्र
राजपाके निष्कर्ष: महाअभियोग संविधान संशोधन नै हुवादैके षड्यन्त्र
अशोक कुमार सहनी, अपन मिथिला / बैशाख ,१८ गते । राष्ट्रिय जनता पार्टी नेपाल संविधान संशोधन नै हुवा दैकेलेल प्रधानन्यायाधीश शुशीला कार्कीऊपर महाअभियोग लगेने निष्कर्ष निकालने अछि ।
संविधान संशोधन प्रक्रिया अगाडि बढरहल समय मे सरकार पक्षसे संशोधन हुवा नै दैकेलेल षड्यन्त्र भेल राजपा जनोने अछि।
राजपाका नेता राजेन्द्र महतो कहलक,‘संविधान संशोधन अगाडि बढरहल छेल । महाअिभयोगके बात लाइव के ओझराबै के काम भेल अछि । हम सब आग्रह करै छी की कि संशोधन के अगाडि बढाक राजनीतिक निकास दियो ।’
पहिल चोटी के निर्वाचनमें राजपा सहभागी नै हेत कहैत महतो पार्टी निर्वाचन आयोगमें दर्ता नै भेल आ मधेशी मोर्चाके मागसेहो सम्बोधन नै भेल निर्वाचनमें असर करै सकै य से कहलक ।
महाअभियोग आ निर्वाचनके विषयमें राजपा एक विज्ञप्ति जारी करहल अछि ।

कोई टिप्पणी नहीं