कोसी ब्यारेजमें खतरा केँ संकेत, बहुत पुराना भेल पुलमे खधे-खधा

अशोक कुमार सहनी ,अपन मिथिला/अखार १९, – पूर्व–पश्चिम रोड़ में रहल कोसी ब्यारेजकेँ पुलमें बहुत बड़का बड़का खधीया सभ भगेल अछि गाड़ी सभ आबैत जाय में समस्या भरहल छथि। खधिया में पिछड़ीक एहि महीना के ६ गते में हेटौंडा सँ बिराटनगर जारहल स्काभेटर लोड केने ट्रक कोसी नदीमें खसल छेल ओहि घटना में २ गोटे के मृत्यु भेल आ, ७ गोटे घायल भेल छेल।
पुलमें भेल खधीया केँ कारण सँ छोट–बड़का घटना होते रहैत अछि। समयमें ठीक करै के काज नई भेला सँ दुर्घटनाके खतरा मोल लके गाड़ी सभ आबैत जात छथि ।
स्थानीय बस ड्राइवर समीर खानके अनुसार वितल २ वर्ष सँ ई समस्या अखुन तक समाधान नई भरहल अछि। खधिया में बाइक, कार आ छोटका गाड़ी सभ ठोकी के दुर्घटना भरहल कहलक खिन ।
पुलके समय–समयमें ठीक करै के काम नई भेला सँ समस्या भेल कहैत दोसर ड्राइबर टेकबहादुर बराइली कहलक। खधिया के बीच मे चक्का फस्ल ओकर अनुभव अछि। कोसी ब्यारेजके ठीक करै के कामक जिम्मेवारी नेपाल पक्षके नाइ भेला सँ भारतीय पक्षके भेला के कारण सँ बेवास्ता भरहल ओकर बुझाई अछि।
कोसी ब्यारेजके ठीक ठाक सम्पूर्ण जिम्मा भारतीय पक्षके भेला सँ नेपाल सरकार कुछ नइ क सकैए से कहलक सडक डिभिजन कार्यालय विराटनगरके प्रमुख जितेन्द्र चौधरी। ओकर अनुसार पुलके पूर्वी भागमें नेपाल पक्ष ठीक करैत आरहल मुदा पुलके बीच भागमें जम्मा भेल पानि कोनो निकास नई होइ के कारण बहुत जल्दी जल्दी रोड़ टूटैत आरहल ओकर कहनाम छेल।
भारतीके सिमाना सँ एक किलोमिटर उत्तरमें रहल कोसी ब्यारेजके सम्पूर्ण जिम्मा भारतिय पक्षके अछि ।
भारतीय पक्षके सहायक इन्जिनियर लाल दास के कथन अनुसार गाड़ी सभ के स्पीडक कारण सँ दुर्घटना बढिरहल दाबी केने छथि । कोसी ब्यारेज भितर २० किलो प्रतिघन्टाके दर सँ गाड़ी चलबै के भेल तैयो बेसी स्पीड में गाड़ी चलाबै सँ समय–समय मे दुर्घटना भरह उ कहि छेल।
रोड़ ठीक करै के लेल भारतके बहुत कम्पनीबीच टेन्डर आह्वान भगेल आ २ महिनामें टेन्डर लागत ऒर ६ महिनाभितर में रोड़ ठीक हेत से दास जानकारी देने छथि।
मुद, ठीक करै के काज भरहल ढिला सुस्ती सँ बर्खा के मौसम में पानी जमा भ आ स्पीड में गाड़ी चलै के कारण सँ दुर्घटना होइ के सम्भावना बेसी अछि।
सन् १९६२ में बनल कोसी ब्यारेजके आयु ५० वर्षके मात्र छेल। ब्यारेजके म्याद खत्म भेला ६ वर्ष बित गेल छथि । ब्यारेज आयु बढ़ि रहल पानि बहै के क्षमता सेहो कमजोर भरहल सहायक इन्जिनियर दास कहलक खिन।
२०६५ भदौ २ में कोसीके बाँध टूटला सँ नेपालमें हजारौं हेक्टर जग्गा बालू भेल छेल आ साथ मे हजारौं गोटे के घर डूबल छेल। कोसी बाँध टूटल देखने सुनसरी आ कोसी प्रभावित सप्तरीके बासिसभ ब्यारेजके समयमै ठीक नई भेल तब कोनो दोसर खतर हेत कि डरसँ बैसल अछि ।।
#अपन_मिथिला